धर्म संदेश
– कृपा कए निम्नलिखित केँ पढ़ू:
जेन 1:1 | आरंभमे परमेश्वर पृथ्वी आ आकाशक रचना कएलनि। |
रोम 3:23 | सभ केओ पाप केने छथि आ पतित छथि, परमेश्वरक गुणगान करू। |
जॉन 8:34 | यीशु हुनका उत्तर देलथिन, “हम निश्चयपूर्वक अहाँकेँ कहैत छी जे, जे केओ पापसँ प्रतिबद्ध छथि, पापक दास छथि।” |
परमेश्वर हमरा सभक सृष्टि कएलनि मुदा हमसभ हुनका नहि जानैत छियनि आ अपन पापी प्रवृत्तिक कारणेँ हुनकासँ अलग भ’ गेलहुँ। बिना परमेश्वरक ने तँ हमरा सभक जिनगीक कोनहुँ उद्देश्य अछि आ ने कोनहुँ अर्थ। हमरा सभक पापक फल (मोल) मृत्यु थिक, आध्यात्मिक आ दैहिक दुनू। आध्यात्मिक मृत्युक माने थिक परमेश्वरसँ अलग भ’ जाएब। दैहिक मृत्यु थिक देहक नाश भ’ जाएब। जँ हमसभ पापसँ मरैत छी, तँ आंतरिक रूपसँ परमेश्वरसँ अलग भ’ जाइत छी आर हमरा सभक अंत नरक होइत अछि। हमसभ अपना आपकेँ पापसँ कोना बचा सकैत छी आर कोना परमेश्वरक शरणमे जा सकैत छी? हमसभ अपना आपकेँ नहि बचा सकैत छी किएक तँ एक पापी लोकक लेल अपना आपके बचाएब संभव नहि अछि (ठीक ओहिना जेना एकटा डूबैत लोक अपनाकेँ नहि बचा सकैत अछि)। हमरा सभकेँ केओ नहि बचा सकैत अछि किएक तँ सभ केओ पापी छी। (एकटा डूबैत लोक दोसर डूबैत लोककेँ नहि बचा सकैछ, दुनूकेँ मदति केर आवश्यकता होइत छैक)। हमरा सभकेँ एकटा एहन निष्पापी (डूबैत नहि) चाही जो हमरा सभकेँ पापसँ बचा सकथि। मात्र निष्पापी लोकहि हमरा सभकेँ बचा सकैत छथि। एहि पापी दुनियामे हमरा सभकेँ ओ निष्पापी लोक कतए भेटताह, चतए मात्र पापिए पापी अछि?
रोम 6:23 | पापक मजूरी मृत्यु थिक, मुदा ईश्वरीय वरदान अहाँक अन्तरात्मामे अछि जे प्रभु यीशु हमरा सभक परमेश्वर छथि। |
जॉन 3:16 | प्रभु एहि दुनिया सँ एतेक प्यार करैत छलाह जे ओ अपन एकमात्र संतान द’ देलथि, जे केओ हुनकापर विश्वास करताह हुनकर नाश नहि हेतनि अपितु चिरस्थायी जीवन पौताह। |
मैट 1:23 | “स्मरण राखू अपन संतानक संग हुनक पवित्रता रहतनि, आर ओ अपन बेटासँ मिलताह ओ हुनक नाम इमैन्यूअली स्मरण रखताह,” एकर माने भेल, “ईश्वर हमरा सभक साथ छथि।” |
जॉन 8:23 | आर ओ हुनकासँ कहलनि, “अहाँ नीचा सँ छी; आर हम ऊपर सँ। अहाँ एहि दुनिया सँ छी; आर हम एहि दुनियासँ नहि छी। |
मार्क 1:11 | तखन आकाशसँ आवाज आएल, “अहाँ हमर प्रिय संतान थिकहुँ, जिनकासँ हम बहुत प्रसन्न छी।” |
जॉन 8:36 | एहिलेल जँ अहाँक संतान अहाँकेँ स्वतंत्र करैत अछि, अहाँ निश्चये स्वतंत्र भ’ जाएब। |
जॉन 3:3 | यीशु उत्तर देलथि आर हुनकासँ कहलथि “हम निश्चयपूर्वक अहाँकेँ कहैत छी, जाधरि दोबारा किनकहुँ जनम नहि होइत अछि, ओ परमेश्वरक सत्ताकेँ नहि देखि सकैत अछि” |
जॉन 1:12 | मुदा जतेक संख्यामे लोक हुनका मानतनि, हुनका परमेश्वरक संतान हेबाक अधिकार प्राप्त हेतनि, हुनका सभक लेल जे हुनक नाममे विश्वास रखैत छथि। |
परमेश्वर, जे हमरा सभक सृष्टि कएलनि आर बहुत बेसी प्यार करैत छथि, हमरा सभकेँ एकर समाधान देने छथि। हमरा सभसँ असीम प्यार करैत ओ अपन संतान, यीशु, जे हमरा सभक पापक लेल मरलाह, हुनका पठौलनि। यीशु निष्पाप छथि किएकतँ ओ एहि दुनियासँ नहि छथि, आर जखन धरती पर पापक प्रति शैतानक प्रभाव बढ़ि रहल रहैक तखन धरती पर अएलाह। यीशु हमरा सभक सभटा पापकेँ अपना उपर ल’ लेलनि आ हमरा सभक पापक कारणेँ ओ सूली पर मरि गेलाह। ओ हमरा जीवनक मुक्तिदाता छथि। (यीशु हमरा सभकेँ बचएबामे सक्षम छथि किएकतँ ओ डूबल नहि छलाह)। यीशु केर सुली पर लटकबाक उद्देश्य छलनि, हमरा सभक पापक मोल चुकता करब, हमरा सभ द्वारा कएल गेल पापकेँ अपना आपमे समाहित करब आ परमेश्वरसँ हमर टूटैत संबंधकेँ जोड़ब। परमेश्वरक शक्तिसँ हमसभ आध्यात्मिक मृत्यु (परमेश्वरसँ अलगाव) सँ जीवित भ’ गेल छी। एहि नव संबंधकेँ पुनर्जन्म होएब कहल जाइत अछि। ई हमरा सभक रचनात्मकता आ अस्तित्वक उद्देश्यकेँ पुनः प्राप्त करैत अछि हमरा सभकेँ जीवनक अर्थ आ उद्देश्य प्रदान करैत अछि।
जॉन 11:25 | यीशु हुनका कहलकनि “हमर पुनर्जीवन भेल अछि आ हम जीवित छी। ओ जे हमरामे विश्वास रखैत छथि, यद्यपि ओ मरि सकैत छथि, ओ जीवित हेताह” |
रोम 6:9 | एतबा धरि जनैत जे मसीह मृत्युसँ जागि उठल छथि, आब ओ नहि मरि सकताह। आब हुनका पर मृत्युक प्रभुत्व नहि भ’ सकत। |
ऐक्ट्स 2:24 | परमेश्वर जिनका उठौलथि ओ मृत्युक दर्दसँ मुक्त भ’ गेलाह, किएक तँ ई संभव नहि छल जे ओ एकर वहन क’ सकताह। |
रोम 14:9 | अंतमे मसीह मरलाह आ पुनः पुनर्जीवित भए जीव रहल छथि तैँ ओ जीवन आ मृत्यु दुनूक देवता छथि। |
ऐक्ट्स 1:11 | जे इहो कहलनि, ‘’गैलिलीक लोक सभ, अहाँ स्वर्ग दिस टकटकी लगा कए किएक देखि रहल छी? ई वैह यीशु छथि जिनका अहाँ सभक बीचसँ स्वर्ग बजाओल गेल छलनि, ओ अहाँक इच्छाक अनुसार स्वर्गसँ औताह ”। |
हमरा सभक लेल यीशु केर मरब, हुनक एहि बलिदानक कोन एहन साक्ष्य अछि जे ईश्वर द्वारा स्वर्गमे स्वीकार कएल गेल? एकर साक्ष्य थिक, यीशुकेँ पुनर्जीवन प्रदान करब। एहि पुनर्जीवनसँ ई सिद्ध भ’ जाइत अछि जे यीशु मृत्यु पर विजय प्राप्त कए नेने छलाह (दोसर शब्दमे, हुनक मृत्यु हुनकासँ बेसी शक्तिमान नहि छलनि)। आब किएकतँ यीशु जीबैत छथि, एहिलेल हमसभ सेहो जीवित छी। हुनक जीवन हमरा सभकेँ जीवन प्रदान करैत अछि। किएत तँ ओ पुनर्जीवित भ’ गेल छथि एहिलेल ओ आइयहु जीवित छथि।
जॉन 5:24 | हम निश्चयपूर्वक अहाँकेँ कहि रहल छी जे, जे केओ हमरा सुनैत छथि आ हमरामे विश्वास रखैत छथि हुनका सदाबहार जीवन भेटतनि, आर हुनका दण्ड नहि भेटतनि अपितु ओ मृत्युकेँ पराजित कए जीवन पौताह। |
जॉन 10:9 | हम दरबज्जा छी। जँ केओ हमरा माध्यमसँ प्रवेश करताह, ओ बचि सकताह, ओ अंदर बाहर जा सकताह आर भोजन प्राप्त क’ सकताह। |
जॉन 14:6 | यीशु हुनका कहलकनि, “हम जीवन आर सत्य केर मार्ग थिकहुँ। हमरा माध्यमक बिनु केओ पिताक लग नहि जा सकैत अछि।” |
जॉन 8:24 | एहिलेल हम अहाँ सँ कहलहुँ जे अहाँ अपन पापसँ मरि जाएब, जँ अहाँकेँ विश्वास नहि अछि जे हम एतए छी, अहाँ अपन पापहिमे मरि जाएब।” |
ऐक्ट्स 4:12 | एतए, कोनहुँ आनमे मुक्ति नहि अछि, लोकक बीचसँ कोनहुँ आन नाम स्वर्गमे नहि देल गेल अछि। हमसभ बचाओल जा सकब। |
रोम 10:13 | हुनका लेल, “जे परमेश्वकेँ स्मरण करताह बचाओल जा सकताह।” |
रोम 10:11 | बाइबिल कहैत अछि, “जे केओ हुनकामे विश्वास रखैत छथि कहिओ शर्मिन्दा नहि हेताह।” |
रोम 2:11 | परमेश्वरक संग कोनो पक्षपात नहि अछि। |
रोम 3:22 | एतेक धरि, जे परमेश्वरक नेकी सभक लेल सभक द्वारा यीशु मसीहक माध्यमसँ विश्वास करएवला पर अछि। एहिलेल कोनहुँ भेदभाव नहि अछि; |
रोम 10:9 | जँ अहाँ अपना मुँहे प्रभु यीशुक समक्ष अपन पाप स्वीकार करैत छी आर अपन आत्मामे विश्वास रखैत छी, परमेश्वर हुनका मृत्युसँ उपर उठा लेताह, अहाँ बचाओल जा सकब। |
हमसभ कोना अपन पापकेँ दूर कए सकैत छी आर नव जिनगी प्राप्त कए सकैत छी? हमरा सभक परमेश्वर आर मुक्तिदाताक रूपमे यीशुमे विश्वास कएलासँ। हमसभ पापक मार्ग केर प्रायश्चित करैत छी आर यीशुकेँ क्षमा करबाक लेल कहैत छियनि, तँ ओ ई क’ सकैत छथि। यीशु परमेश्वर केर संतान छथि जे धरती पर अएलाह आर हमरा सभक पापक लेल मरलाह। एहि धरतीक कोनहुँ प्राणी जे हनुकामे विश्वास रखताह हुनका प्रभु क्षमा कए देताह, हुनका पाप (आर नरक) सँ बचौताह आर ओ प्रभु द्वारा नव जिनगी प्राप्त कए सकताह। प्रभु पक्षपात नहि नहि करैत छथि। हमसभ कोन देशक रहएवला छी, कोन भाषा बजैत छी, गरीब छी वा अमीर, पुरुष छी अथवा नारी, जवान छी कि बूढ़ आकि कोनहुँ प्रकारक शारीरिक भिन्नताक—एहि सभ बातसँ प्रभु प्रभावित नहि होइत छथि। प्रत्येक व्यक्ति जे यीशु मे विश्वास रखताह आर अपन पाप स्वीकार करताह, यीशु हुनक रक्षा करतनि। जँ अहाँ यीशुक अनुयायी बनए चाहैत छी तँ निम्नलिखित प्रार्थना कए सकैत छी:
हे स्वर्गक देवता! अपनेकेँ धन्यवाद अछि जे अपने अपन एकमात्र संतान, यीशुकेँ पठेलहुँ जे हमरा सभक पापक लेल मरलाह, जाहिसँ हम बचि सकलहुँ आर स्वर्गसँ हमरा नवजीवन भेटल। हम अपन अधलाह कर्मक लेल प्रायश्चित करैत छी आर अपन पापक लेल क्षमा माँगैत छी। हम यीशुमे विश्वास रखैत छी आ हुनका प्रभु आर मुक्तिदाताक रूपमे स्वीकार करैत छी। हमर मदति करू आर निर्देश दिअ ताकि अहाँ जे हमरा नवजीवन देने छी ओ सुखद होअए। आमीन।
जखन अहाँ उपरका ई प्रार्थना करू तँ प्रभुसँ कहू जे ओ अहाँकेँ चर्च जेबाक बाट देखाबथि। प्रार्थनाक क्रममे लगातार प्रभुसँ गप्प करू, प्रभु सेहो अहाँसँ गप्प करताह। प्रभुक वाणी सुनू। प्रभु अहाँकेँ निर्देश देताह। ओ अहाँ सँ प्रेम करैत छथि आ ओ अहाँक रक्षा करताह। अहाँ हुनकामे विश्वास क’ सकैत छी। जे केओ हुनकामे विश्वास करैत छथि तिनका ओ कहियो नहि बिसरैत छथि। प्रभु सर्वशक्तिमान छथि। हुनकामे विश्वास कएल जा सकैत अछि। अहाँ अपन जिनगी हुनका समर्पित क’ सकैत छी। अपन आवश्यकताकेँ अहाँ हुनका समक्ष राखि सकैत छी। ओ अहाँक सुनताह आ अहाँ पर कृपा करताह। प्रभु कहैत छथि, “हम नहि तँ कहियो अहाँकेँ छोड़ब आ ने बिसरब”। प्रभुमे विश्वास राखू। यीशु द्वारा अहाँ पर कृपा कएल जाएत।
बाइबिलक निरंतर पाठ करू, जॉन केर किताबसँ आरंभ करू। इन्टरनेट संबंधी अधिक जानकारीक लेल एतए क्लिक करू।